
जनकपुरधाम।
नेपाली काँग्रेस मधेश प्रदेश समिति प्रदेशमे नियुक्त अप्पन मन्त्रीसभक काजसँ असन्तुष्टि जनौने अछि ।
प्रदेश समितिक जनकपुरधाममे सम्पन्न प्रदेश कार्यकारिणीक बैसारमे पार्टीसँ मन्त्री द्वारा कएल गेल काजसँ जनता आ पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता धरि संतोष नहि रहला पर निष्कर्ष निकालल गेल अछि ।
बैसारमे मधेश प्रदेश सरकारमे पार्टीक सहभागी मन्त्रीसभके कार्य प्रभावकारी बनेबाक निर्देश देल गेल अछि ।
मधेश प्रान्तमे राम सरोज यादव भौतिक आधारभूत संरचना मन्त्री, वीरेन्द्र सिंह महिला, बाल, युवा तथा खेल मन्त्री तथा ओमप्रकाश शर्मा काँग्रेससँ जल आपूर्ति आ ऊर्जा मन्त्री छथि ।
महामन्त्री बृहस्पति श्रेष्ठ मधेश प्रदेशके संघीय तथा प्रदेश विधानसभा निर्वाचन क्षेत्रके वस्तुनिष्ठ विश्लेषण करके प्रतिवेदन प्रस्तुत करवाक जिल्ला प्रतिनिधि नियुक्त करबाक निर्णय बैसारमे जनौलनि अछि ।
ओ कहला जे ओ सब अधीनस्थ एजेंसी कए चुनाव केंद्रित कार्यक्रम तैयार करबा लेल निर्देश जारी करबाक निर्णय लेलक अछि आ सबटा समिति, विभाग, आ भ्रातृत्व संगठन कए जुटाउल गेल अछि।
तहिना मधेश प्रदेशके ८ जिल्लामे जिल्ला तथा प्रदेश स्तरीय प्रशिक्षण तथा उन्मुखीकरण कार्यक्रम संचालन तथा आगामी निर्वाचनके लेल उम्मेदवारके अन्तिम रूप देबय पार्टी केन्द्रीय समितिके ध्यान आकृष्ट करबाक निर्णय लेलक अछि ।
बैसारमे नागरिकता विधेयक संसदक माध्यमसँ पारित करबाक लेल केन्द्र सरकारके धन्यवाद देबाक निर्णय सेहो कएल गेल अछि । बैसारमे राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारीसँ विधेयकके तत्काल सत्यापनके लेल पहल करवाक आग्रह कएलगेल अछि ।
एड
एड